Maithili Singer Rani Jha rani jha maithili singer biography



रानी झा मैथिलि सिंगर म एकटा नवका यंग चेहरा। मूलतः मिथिला'क रहनिहार रानी झा मैथिलि सिंगर जगत क एकटा नवका आ उभरैत नाम अछि। झा जी जहन ग्यारह वर्षक छलीह तहने सँ ओ अपन रूचि संगीत मे लेबय लगली। पहिल बेरा हिनका अपन एलबम अपन मधुर आवाज सँ जहन रानी झा जी 'मैया के लाल चुनरी, गीत गेली त दर्शक हिनका आवाज क बहुते सराहलक, ताहि दिन सँ रानी जी अपन गायकी कैरियर क सुरुवात क देलखिन। फेर बाद म मंचे पर हिनक मुलाकात मैथिलि सिंगर कुमकुम झा जी सँ भेलैन आ ओ हिनका गीत गाबय लेल प्रेरित केलखिन। रानी झा अखन स्कूल म आठमी क्लास म पढ़ी रहल अछि। रानी झा अखन पढ़ाइ क साथ-साथ गायकी क शिक्षा सेहो ल रहल अछि। गायकी छेत्र म अपन पहचान बनेवा लेल हिनका अपन माता-पिता क पूर्ण सहयोग भेट रहल अछि। रानी जी अपन मधुर आवाज सँ करिव दू दर्जन सँ बेसी गीत गाबी चुकल अछि। हिनक पहिल कैसेट गंगा कम्पनी सँ अप्रैल 2012 म आयल जेकर नाम छल 'जटायु मैय्या, एकर अलावा हिनक तिनटा अओरो एल्बम आबि चुकल अछि। रानी जी अपन आयडल क रूप म सारदा सिन्हा क मानैत अछि, आ तेहने मुकाम पाबय चाहैत अछि। रानी झा क अपन गायकी लेल बहुते रास पुरस्कार सेहो भेटल अछि।फिलहाल रानी जी अपन संगीतक शिक्षा ल रहल अछि। उम्मीद अछि रानी झा जी अपन आ अपन माता-पिता क सपना साकार करती, अपन मिथिलाक नाम सेहो रौशन करती।

Post a Comment

1 Comments

  1. Lasix Generic Cialis Viagra Without A Doctor Prescription Kamagra Wikipedia

    ReplyDelete